जे.एन.यू. मिथिला मंच के प्रथम बैसार दिनांक १९ अक्तूबर २००८ के सांझ ५ बजे एस.बी.टी. लॉन में संपन्न भेल! एहि बैसार में प्राय: ३१ टा छात्र सम्मिलित भेलाह। एहि बैसार में निम्नांकित प्रस्ताव पारित भेल।

१. मिथिला के सभ्यता-संस्कृति के प्रचार-प्रसार लेल विभिन्न कार्यक्रम आयोजित केल जाएत।

२. बैठक में मैथिली भाषा के प्रयोग कएल जाय।

३. एकटा कार्यकारिणी समिती के गठन कएल गएल जाहि में निम्न सदस्या के चुनाव भेलनि:-

क. अध्यक्ष : श्री गोपाल जी गोपाल

ख. उपाध्यक्ष: श्री अब्दुल राफ़े

ग. सचिव: श्री नारायण चौधरी

घ. सह-सचिव: कुमारी अभिलाषा चौधरी

ङ> कोषाध्यक्ष:  श्री दिनेश झा