नवागंतुक सभाक रिपोर्ट

जे.एन.यू./नई दिल्ली, १६ अगस्त, २००९

आशीष कुमार मिश्र

आई अगस्त मास के १६ तारीख के संध्या बेला में एहि जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालय के प्रांगण में नवागंतुक छात्र-छात्रा सबहक स्वागत के निमित्त जे.एन.यू. मिथिला मंच के तत्वावधान में एकटा कार्यक्रम राखल गेल।

एहि कार्यक्रम में भारी संख्या में मिथिलांचल के वासी जे एहि कैंपस में नामांकन लेलईथ आ ओहो जे एतक छात्र नहि छलाह/छलीह उपस्थित भेलाह। कार्यक्रम संध्या ६ बजे सं प्रारंभ भेल।

मंचक संचालन मातंगी ठाकुर आ आशीष कुमार मिश्र कएलथि। सब नवागंतुक छात्र-छात्रा अपन परिचय देलखिन। तत्पश्चात मिथिला मंचक नवगठित कार्यकारिणी के नाम बताओल गेल। एहि में अब्दुल राफ़े के अध्यक्ष इ गोपाल जी गोपाल के विशेष सलाहकार नियुक्त  कएल गेलनि। क्रमश: उपाध्यक्ष, सचिव, कोषाध्यक्ष, मिडिया सलाहकार सह समन्वयक के नाम सार्वजनिक कएल गेल।

भेंट-घांट के बाद चाह-नाश्ता के सेहो व्यवस्था छेलै। धन्यवाद ज्ञापन मंचक अध्यक्ष राफ़ेजी के श्रीशब्द सं भेल व ई आगां के समारोह कार्यक्रम के रूपरेखा प्रस्तावित कएल गेल।

एहि तरहे ई कार्यक्रम हर्षोल्लाष सं संपन्न भेल।

 

एहि कार्यक्रम के चित्र देखू

 

एहि कार्यक्रम के विडियो देखू

 

 

नवागंतुक सभाक लेल निकालल गेल पोस्टर:

 

 

नवागंतुक स्वागत सभा

(Freshers Party)


दिनांक: १६ अगस्त, २००९ (रविवार)

समय: सांझ ६:०० बजे

स्थान: SBT लॉन, जे.एन.यू.

 

जे.एन.यू मे एहि वर्ष प्रविष्ट छात्र-छात्रा के स्वागत आ परिचय-पात्रक उद्देश्य सं जे.एन.यू. मिथिला मंचक द्वारा एकटा स्वागत सभाक आयोजन कएल जा रहल अछि। सभ पुरान छात्र-छात्रा लोकनि सं आग्रह जे अपने सभ एहि स्वागत सभा में भागिदारी करू आ नवागंतुक सं परिचय-पात्र करू!

नवागंतुक छात्र-छात्रा लोकनि सं आग्रह जे एहि सभा में सम्मिलित भऽ अपन विचार आ अपन कोनो एहन समस्या, जं हो तऽ, व्यक्त करू आ जे.एन.यू. में पहिले सं उपस्थित मिथिलांचलक अपन लोक सं परिचय-पात्र करू।


संपर्क:

गोपाल जी गोपाल (9910371321), अब्दुल राफ़े (9873629245), बिनय पाठक (9899586632), नारायण चौधरी (9868721878)