बर रे जतन सं हम, सिया धीया पोसलौं, सिया धीया पोसलौं
सेहो धीया राम लेने जाय, सेहो धीया राम नेने जाय
आगू-आगू राम चंद्र, पाछू-पाछू डोलिया, पाछू-पाछू डोलिया
तई पाछू लछमन रे भाई, सेहो धीया राम नेने जाय
एक कोस गेलौं रामा, दुई कोस गेलौं
तेसर कोस लगलई पियास
हाथ जोरू बैंयां परू, अगिला कहरिया से, अगिला कहरिया सं
बाबा दियौ पनिया पियाई, सेहो धीया राम लेने जाई